Harinath jha biography sample papers


Jenny bae violinist biography of michael jackson


प्रतिभा एकटा अविरल वस्तु होइत अछि! जेकरा में जतेक तरहक से ततेक निमन व्यक्ति होइत छथि! व्यक्तित्वक परख प्रतिभा माध्यमेटा होययै!

Sir bobby charlton reminiscences annals of a facebook

कला ककरो बपौती नहि, ओ त साधनाक वस्तु थिक! साधनाक बले कहल जाय छै जे बैजू बाबरा मंजिरा पिघला देने छला आ तानसेनक गीत सुनबा लेल जंगल सँ हिरण सब अबे छल !

एक बेर पबित्र भूमि  मिथिला में बरखा नहि भरहल छलै तखन राजस्थान सँ ध्रुपद गायक सब आबि मेघराग(बादलराग) गेने छल, तत्पश्चात चिक्कन बरखा भेलै!

कहबाक भाव इ जे संगीत त जानवरोक पियरगर होय छै आ संगे अदभुत शक्तिशाली सेहौ होयै ! सुर कें जखन गायक/गायकी अपन कंठ दे छथिन त मौन, अह गद-गद भ जाय छै!

आधुनिक मैथिली जगत में ऐहने अदभुत नाम अछि, श्री हरिनाथ झा जी !

मैथिली गायन, संगीतकार, आ ध्रुपद गायन सब क्षेत्र में अदभुत प्रतिभा सम्पन्न आदरनीय हरिनाथ झा जीक जन्म मिथिलाक दरभंगा जिला अंतरगत मधुप नगर कोर्थु में सन  6 जून 1967 कें स्वर्गीय बलराम झा आ रामदाय  देवीक परिवार में भेलनि! 

इ राज्कृत जनता उच्च विधालय, शिवनगरघाट(कोर्थु) सँ 1983 में माध्यमिक, 1985 में C.M  Science College,दरभंगा सँ I.Sc केला ओते सँ पदार्थ विज्ञानं सँ 1988 में स्नातक केला! 

शिक्षाक  संगे-संग  इ अपन नैनापन रूचि संगीत दिस सेहो आगू बढला !

इ दरभंगा में खंडेवाल जी सँ संगीतक शिक्षा ग्रहण करैत छला, संगे-संग इ नुक्कर नाटक,इफटा,नेहरु युवा केंद्र आ  आकाशवाणी दरभंगा में तरुण-कुसुम कार्यक्रम में लगातार गाबैत रहला!

तत्पश्चात इ दिल्ली आबि गेला, सन 1990 सँ 2001 धरि नीलम कैसेट नई दिल्ली में संगीतकारक पद पर रहला, आ कतेको कैसेट वा कलाकार क अपन संगीतक बल पर हिट बनौलेत! फेर टी- सीरीज में 2001 ई० में इ जट-जटीन   सन पारंपरिक मैथिली गीतक संयोजनक संगीत देलनि!

 
सन 2005 सँ अनवरत रुपे ध्रुपद गायकी में देश-विदेश  में अपन परचम  फहरा रहल  छथि !

इ ध्रुपद संगीतक  विधा ध्रुपद संगीतक  महान गायक  उस्ताद वसिफुद्दीन डागर स  ग्रहण केलैथ, इ  उस्ताद वसिफुद्दीन डागरक  शिष्य छथि!

जे हिनका ध्रुपद गायकीक ज्ञान द रहल छथि !

आइ संप्रति इ दक्षिण अफ्रीका में रहि रहल छथि!

इ कोलकाताक मिथिला विकाश परिषद् दुआरा 2001 में मिथिला सम्राटक अलंकार सँ विभूषित कैल गेला जे हिनक अदभुत मैथिली सेवा लेल देल गेलनि !

छतीसगढ़ केर मैथिली मंच दुआरा विधापतिक गायनक "दादा फाल्के पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित छथि!

किछ अन्तराष्ट्रीय आ और दोसरो मैथिली संघक सम्मान स सम्मानित छैथ, जकर जानकारी हमरा नै अछि.....

  

हरिनाथ झा जीक, युवा अवस्था क फोटो 

 सवांद:- मनोहर कुमार झा, राजीव मिश्र 

  प्रस्तुति:- अपन मिथिला धाम 

  

Copyright ©bakearea.amasadoradepan.com.es 2025